Wednesday, 16 July 2025

मोदीजी 18 जुलाई कऽ बिहार के देथिन 7,200 करोड़ सऽ बेसी के विकासक सौगात

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 18 जुलाई के बिहार के मोतिहारी आबि रहल छथिन्ह। एहिठाम ओ राज्य के लेल लगभग सात हजार दू सौ करोड़ टाका सऽ बेसी के विकास योजना सभक उद्घाटन आ शिलान्यास करथिन। ई दौरा खास क’ उत्तर बिहार लेल बहुत पैघ महत्व रखैत अछि। मोतिहारी मे हुनकर जनसभा सेहो होएत।

21 जुलाई के होयत लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) युवा मोर्चा राष्ट्रीय कार्यकारिणी केर बैठक

लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) केर युवा मोर्चा केर राष्ट्रीय कार्यकारिणी बैठक आगामी 21 जुलाई के नई दिल्ली स्थित कंस्टिट्यूशन क्लब मे आयोजित होयवाक अछि। एहि महत्वपूर्ण बैठक मे पार्टीक केंद्रीय अध्यक्ष श्री चिराग पासवान, लोकसभा सांसदगण संग संगठन स जुड़ल वरिष्ठ नेता लोक सेहो भाग लेतीथ।

Saturday, 27 July 2024

मैथिल पुत्र ‘प्रभात’ कहियो ‘अस्त’ नहि हेताह- डॉ. विनीत उत्पल

मैथिल पुत्र प्रभात झा नहि रहलाह। हुनकर देहावसान सँ मिथिलाक की क्षति भेल अछि, ओकर पूर्ति करब  असंभव अछि. प्रभात झा मतलब एकटा इनसाइक्लोपीडिया, जे मिथिला, बिहार, मध्यप्रदेश, पंजाब, छत्तीसगढ़, चंडीगढ़ सहित संसदक गलियारा के एकटा पोथी जे जीवन जतेक पन्ना पलटि, ततेक कथा.

Monday, 14 November 2022

बिलट पासवान “विहंगम”

श्री बिलट पासवान “विहंगम” जीक जन्म मधुबनी जिलाक एकहत्था ग्राममे १९४० ई. मे भेलन्हि। छात्रावस्थासँ राजनीति एवं साहित्य दुनूमे अभिरुचि रहलन्हि अछि।

डॉ. प्रेमशंकर सिंह

डॉ. प्रेमशंकर सिंह (१९४२- ) ग्राम+पोस्ट- जोगियारा, थाना- जाले, जिला- दरभंगा। मैथिलीक वरिष्ठ सृजनशील, मननशील आऽ अध्ययनशील प्रतिभाक धनी साहित्य-चिन्तक, दिशा-बोधक, समालोचक, नाटक ओ रंगमंचक निष्णात गवेषक, मैथिली गद्यकेँ नव-स्वरूप देनिहार, कुशल अनुवादक, प्रवीण सम्पादक, मैथिली, हिन्दी, संस्कृत साहित्यक प्रखर विद्वान् तथा बाङला एवं अंग्रेजी साहित्यक अध्ययन-अन्वेषणमे निरत प्रोफेसर डॉ. प्रेमशंकर सिंह ( २० जनवरी १९४२ )क विलक्षण लेखनीसँ एकपर एक अक्षय कृति भेल अछि निःसृत।

मायानन्द मिश्र

मायानन्द मिश्रक हिनक जन्म १७ अगस्त १९३४ ई. केँ सुपौल जिलाक बनैनियाँ गाममे भेलनि। तत्कालीन बनैनियाँ कोसीक प्रकोपसँ उजड़ि गेल। फलतः हिनक आरम्भिक शिक्षा अपन मामा स्व. रामकृष्ण झा “किसुन” क सान्निध्यमे सुपौलसँ भेलनि। उच्च शिक्षाक हेतु ई दरभंगा चलि गेलाह आऽ ओतएसँ बी.ए. कएल। पश्चात् बिहार विश्वविद्यालय मुजफ्फरपुरसँ हिन्दी एवं मैथिलीमे एम.ए. कएलनि। १९५६ ई. मे आकाशवाणी पटनामे मैथिली कार्यक्रमक लेल नियुक्त भेलाह। एहि अवधिमे

गोपालजी झा “गोपेश”

स्व. श्री गोपालजी झा “गोपेश” क जन्म मधुबनी जिलाक मेहथ गाममे १९३१ ई.मे भेलन्हि। गोपेशजी बिहार सरकारक राजभाषा विभागसँ सेवानिवृत्त भेल छलाह। गोपेशजी कविता, एकांकी आऽ लघुकथा लिखबामे अभिरुचि छलन्हि। ई विभिन्न विधामे रचन कए मैथिलीक सेवा कएलन्हि।

मोदीजी 18 जुलाई कऽ बिहार के देथिन 7,200 करोड़ सऽ बेसी के विकासक सौगात

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 18 जुलाई के बिहार के मोतिहारी आबि रहल छथिन्ह। एहिठाम ओ राज्य के लेल लगभग सात हजार दू सौ करोड़ टाका सऽ बेसी के विका...