आब भोजपुरी में आएत अण्णा के आंधी

जनलोक बिल के मुद्दा पर देशक लोक के जगाबय वाला अण्णा हजारे पर भोजपुरी मे एकटा फिल्म बनि रहल अछि.

फिल्म केर नाम अछि अण्णा के आंधी. एहि फिल्म के बना रहल छथिन्ह राजकुमार चौहान जी.

अण्णा के भूमिका निभाएताह भोजपुरी फिल्मक स्टार
हीरो सुदीप पांडे. सुदीप पांडे फिल्म मे बिहारक एकटा गामक डॉक्टर के भूमिका निभा रहल छथिन्ह.

डॉक्टर के नाम अण्णा राखल गेल अछि.

डॉक्टर अण्णा समाज में व्याप्त भ्रष्टाचार के खिलाफ आवाज उठाबय छथिन्ह.

संगहि संग राष्ट्रपिता महात्मा गांधी आओर अण्णा हजारे केर सिद्धांत पर चलिsक सत्य, अहिंसा आओर सत्याग्रह सं लोग के जागरूक करय छथिन्ह.

सुदीप जीक कहनाय छनि जे हुनकर भूमिका काफी चैलेंजिग छनि और ओ फिल्म सं समाज में जागरूकता लाबय के कोशिश करि रहल छथिन्ह.

हुनकर कहनाय छनि जे देश मे एहन फिल्म बनबाक चाही जेहि सं समाज में जागरूकता फैलय.

एहि फिल्म केर निर्देशक छथिन्ह चंद्रसेन सिंह.

Share

Comments are closed.

Share

Archives