कोलावरी… कोलावरी… कोलावरी… डी

आईकाल्हि इंटरनेट…यूट्यूब…टीवी चैनल… न्यूज पर कोलावरी… कोलावरीय… कोलावरी… डी छाएल अछि. उम्मीदअछि अहा सभ सेहो एकरा सुनने… देखने होएब.
अगर नहि देखलौं अतं कोनो गप नहि हम बता दैत छी.
 असल मे कोलावरीकोलावरी कोलावरी डी साउथ केर तमिल फिल्म 3 के गाना अछि. ई गाना तमिलआओर इंग्लिश मे अछि… मिललजुलल.
तमिलफिल्म तीन के बना रहल छथीह साउथ के सुपरस्टाररजनीकांत के पुत्री ऐश्वर्या. एहि गाना के आवाज देने छथिन्ह ऐश्वर्या के

पति धनुष.एहि गीत क 16 नवंबर के यूट्यूब पर डालल गेल.

यूट्यूबपर डालला के 12 दिन के अंदर एकरा 80 लाख से बेसि लोक सुनि चुक छथिन्ह. ई एकटा रिकॉर्डअछि. यूट्यूब पर अखन धरि कोनो गीत…संगीत केर वीडियो एतेक क्लिक नहि भेल अछि.दुनिया भर मे छाएल रहय वाला इंग्लिश एलबम के सेहो एतेक हिट नहि मिलल रहय जतेककोलावरी डी के मिल रहल अछि.
पूराइंडिया मे तहलका मचौने अछि ई गाना. भने एकर बोल अहां के समझ मे नहि आएत मुदा एकरम्यूजिक एतेक नीक अछि जे अहांक पैर अपने आप थिरकय लागत.

हमखुद एकर बोल नहि समझि रहल छी मुदा कई बेर एहि गाना के सुनि चुकल छी. एकरा अहांएकटा पागलपन कहि सकय छी.
मुदासुनय मे सचमुच बड़ नीक लगैत अछि.
एहि गाना के दसिओटा वीडियो यूट्यूब पर आबि गेल अछि मुदा जेऑरिजनल अछि ओ 80 लाख सं बेसि सुनल गेल अछि. दोसर सेहो लाखों मे पहुंच गेल अछि. एकअंदाज के ल क अहां कहि सकय छी जे रोज करीब लाख लोक एहि गाना के यूट्यूब पर सुनिरहल अछि
लोक एकरा खूब पसंद करि रहल छथिन्ह, ई लोक के दिल-दिमाग पर छागेल अछि.. एकटा बात आओर जे एकर जे संगीत देने छथिन्ह ए रविचंदर हुनकर उम्र मात्र18 साल छनि. ई गाना सेहो हुनका लोकप्रियता के शिखर पर पहुंचा देने अछि.

ओना सभ सं बेसि नाम भेल रजनीकांत के दमाद धनुष के. धनुष केगाएल एहि गाना क लोक बेर बेर सुनि रहल छथिन्ह. एहि गाना पर न्यूज चैनल सभआधा-आधा घंटाक कार्यक्रम पेश करि रहल अछि.
फेसबुक पर सेहो हजारों लोक एहि गाना के शेयर कएने छथिन्ह.हिंदी के नहि होएतहुं हिंदी के लोक…पंजाबी…मैथिली के लोक सभ एहि गाना के सुनिरहल छथिन्ह आओर गुनगुना रहल छथिन्ह.
ई जरूर अछि जे गुनगुना सिर्फ कोलावरीकोलावरी कोलावरी डी रहल छथिन्ह…बाकी लाइन पर झुमय छथिन्ह.
असलमे कोलावरीकोलावरीकोलावरी डी  के मतलब एक तरहक गुस्सा होएतअछि…बड़ बेसि नाराजगी… घोर निराशा.
ओनासोचिओ तं एहि लाइन को कोनो मतलब नहि अछि मुदा चलि गेल…हिट भ गेल.
जेनाअपन मैथिली मे एक लाइन पूरा मिथिला मे हिट भ गेल रहय आब कहुं मोन केना करय अ…एकरबाद खो मंगला पड़ल रह…
तेहिनाएकर हाल अछि.
ओनासाउथ के किछ गाना हिंदी मे सेहो काफी हिट रहल अछि खासकर ए आर रहमान केर.
उर्वशी…उर्वशी…मुकाबला..मुकाबला….
आबकोलावरीकोलावरी कोलावरी डी सं ईसाबित भ रहल अछि जे गीत…संगीत के कोनो सीमीत दायरा नहि होएत अछि. ई सभ के दिल परअपन असर डालैत अछि.
सभ के अपन बोल परझुमय लेल विवश करि दैत अछि.
तं अहुं आनंदलिअ…नहि सुनलौं अ तं सुनि लिअ…एहि लिंक के क्लिक करि… 

[youtube http://www.youtube.com/watch?v=YR12Z8f1Dh8]

Comments are closed.

Archives