कौन बनेगा करोड़पति मे बिहार रचलक इतिहास

अपन प्रतिभा केर धाकदुनिया भर मे मनाबय वाला बिहार एक बेर फेर अपन परचम फहरा देलक अछि. बिहार केर मानएक बेर फेर बढ़ल अछि. बिहारक माथ एक बेर फेर ऊंच भेल अछि.

एहि बेर बिहारकसम्मान के उपर उठएलाह मोतिहारी के सुशील कुमार जी. सुशील कुमार जी कौन बनेगा करोड़पतिमे पांच करोड़ रुपया जीतए मे कामयाब भेलाह.
कौन बनेगा करोड़पति मेअखन धरि कोई गोटे पांच करोड़

नहि जीत पएलाह. सुशील जी पहिल लोक छथिन्ह पांच करोड़जीतए वाला.

पांच करोड़ के तं गपछोडु एक करोड़ टका अखन धरि सिर्फ दू गोटे जीत पएलाह. पहिल जीतए वाला लोक छथिन्हमुंबई के हर्षवर्धन नवाथे.

नवाथे जी जे एककरोड़ टका जीतने छलखिन्ह ओ कौन बनेगा करोड़पति के पहिल सीजन मे. जखन कि अखन पाचिमसीजन चलि रहल अछि,

कौन बनेगा करोड़पतिमे दोसर गोटे के एक करोड़ जीतए में पांच सीजन लगि गेलन्हि. नवाथे के बाद सिर्फ अपनबिहार सं अलग भेल झारखंड के राहत तस्लीम जीत पएलीह. बीच मे कोई नहि जीत पएलाह.

राहत जी पांच करोड़वाला सवाल नहि जानए के कारण सिर्फ एक करोड़ टका जीत पएलीह.

खैर अखन गप भ रहलअछि सुशील जी के. सुशील जी मोतिहारी के हनुमानगढ़ी के हेनरी बाजार मे रहय छथिन्ह.
पेशा सं कंप्यूटरऑपरेटर छथिन्ह आओर बच्चा सभ के ट्यूशन सेहो पढ़ाबय छथिन्ह.

मात्र 6 हजार केऑपरेटर के नौकरी करय वाला सुशील जी 5 करोड़ जीत गेलाह. बिहार के लोक सभ के हिनकासं प्रेरणा लेबाक चाही. बस अपन मनोबल ऊपर रखबाक चाही.

ओना हिनका संपहिनहुं बिहार सं कइटा लोक के कौन बनेगा करोड़पति मे नीक प्रदर्शन रहल अछि. एहिपाचिम सीजन मे मधुबनी परिहारपुर एक बहिन सं आओर दरभंगा सं सेहो एक गोटे नीकखेललखिन्ह.

27 साल के सुशीलजीके लेल ई दिवाली काफी नीक रहलन्हि. अमिताभ बच्चन जीक हाथ सं पांच करोड़ के चेकपएलाह. एकर शूटिंग मंगलदिन खत्म भेल.

आब एकर प्रसारण 2नवंबर के सोनी टीवी पर होएत छठि के बाद.

तं भारत मे कोनो गेमशो मे सभ सं बेसि पाए जीतय वाला बिहारी सुशील कुमार जी के देखनाए नहि भूलब.

सुशीश जीके हेलोमिथिलाक तरफ सं शुभ दीपावली.
Share

Comments are closed.

Share

Archives