छठि पूजा केर भोरका अर्घ्य

काल्हि हम हेलो मिथिला पर नोएडा केर सेक्टर 33 एनटीपीसी कॉलोनी के फोटो डालने छलहुं… आई हम नोएडा सेक्टर 34 के एकटा पार्क मे भेल छठि पूजा केर फोटो डालि रहल छी.

एहि ठाम जखन हम पहुंचलौं तखन धरि लोक सभ पार्क मे बनल घाट सं लौटनाए शुरू करि देने छलखिन्ह…ताहि लेल बेसि फोटो नहि ल सकलौं… तखनो अहां सभ लेल एक दूटा फोटो क्लिक करि लेलौं.

पहिने गेल रहतौं तं आओर नीक फोटो अहां सभ के सामने राखने रहतौं. अहां सभ सेहो हेलो मिथिला आओर मुस्कुराहट लेल अपन फोटो भेज सकय छी.

हम अहांक फोटो के एहिठाम डालि देब. अहां अपन फोटो hellomithilaa @ gmail  पर भेज सकय छी.

Share

Comments are closed.

Share

Archives