दिल्ली मे सामा चकेवा

भाई-बहिनक स्नेहक प्रतीक के रूप मे मनाबए जाए वाला लोकपर्व सामा चकेवा के आखिरी दिन 10.11.2011 के राजधानी दिल्ली के त्रिवेणी कला संगम मे माटीयूथ ऑफ मिथिला के तरफ सं एकटा कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल.


एहि मे दिल्ली मे रहय वाला अपन मैथिल भाई-बहिन के संग बड़ संख्या मे स्थानीय लोक सभ सेहो अएलाह. बीमार होए के कारण हम खुद नहि जा पएलौं. कार्यक्रमक किछ फोटो एहिठाम राखि रहल छी. फोटो अमिताभ भूषण जीक सहयोग सं अछि.




Share

Comments are closed.

Share

Archives