पत्रकार बनय लेल नीक मौका

अगर अहां पत्रकार बनय चाहय छी. मुदा अहां के पास पत्रकारिता के डिग्री…डिप्लोमा नहि अछि तं निराश नहि होउ.

अहांक पास पत्रकार बनय लेल बड़ नीक मौका अछि.

देश के प्रतिष्ठित अखबार अमर उजाला अहां के द रहल अछि पत्रकार बनय के मौका.

बस अहां मे पत्रकारिता के लगन होबाक चाही… पत्रकार बनय के
लगन होबाक चाही.

अगर अहां बीए…बीएससी आ बीकॉम छी आओर अहांक उम्र 23  साल सं कम अछि तं अहां एहि लेल योग्य छी.

पत्रकार बनय लेल सभ सं जरूरी होएत अछि देश-दुनिया…गाम-घर के घटनाक्रम पर नीक पकड़. अहांक जनरल नॉलेज दोसर सं बेहतर होबाक चाही.

अहांक लेखन एहन होबाक चाही जे लोक के ओकरा पढ़ल लेल विवश करि देए.
चूंकि आई-काल्हि अखबार-टीवी केर सभ काज कंप्यूटर सं होएत अछि ओहि लेल अहांक कंप्यूटर ज्ञान सेहो नीक होबाक चाही.

आई-काल्हि केर ऑर्कुट…फेसबुकक इंटरनेटक दुनिया मे कंप्यूटर पर अहांक हाथ मंजले होएत.

अमर उजाला एहि लेल अहांक ऑनलाइन टेस्ट लेत ओकर बाद इंटरव्यू लेल बुलाएत.

पास भेलाह पर अहां के एक साल धरि पत्रकारिता के ट्रेनिंग देल जाएत. ई ट्रेनिंग मुफ्त मे अछि.

एतबे नहि एहि एक साल ट्रेनिंग के दौरान अहांके पाई सेहो देल जाएत.

अगर अहां नीक सं कोर्स पूरा करि लेलहुं तं अहां के अमर उजाला मे नौकरी लगि जाएत.

पत्रकार बनय लेल ई बड़ नीक अवसर अछि.अगर कनिओ लगाव अछि तं एहि मौका के नहि छोड़ु.

अप्लाई करय लेल फॉर्म अहां एहि लिंक के क्लिक करि डाउनलोड करि सकय छी.

अमर उजाला

आओर हां अप्लाई फॉर्म के संग 300 शब्द केर एकटा लेख जरूर भेज देब.

अप्लाई करय के अंतिम दिन अछि 30 अक्तूबर 2011.

अहां अपन आवेदन एहि पता पर भेज सकय छी:-

प्रशिक्षण प्रभाग
अमर उजाला पब्लिकेशन्स
सी-21, सेक्‍टर-59
नोएडा – 201301

Share

Comments are closed.

Share

Archives