बिहार मे बढ़ल रोजगारक अवसर…



बिहार के लेलएकटा नीक खबर अछि. खबर अछि जे बिहार सं कमाए लेल दिल्ली… पंजाब… हरियाणा जाएवाला लोक मे कमी आएल अछि.

एकटा एनजीओ बिहार इंस्टीट्यूट ऑफ इकोनॉमिक स्टडीज के तरफ सं भेल सर्वे केअनुसार बिहार सं बाहर जाए वाला लोक के संख्या मे भारी कमी आएल अछि.

सर्वे मे कहलगेल अछि जे बिहार सं
पहिने जे पलायन होए छल ओहि मे करीब 26 प्रतिशत केर कमी आएलअछि.

पहिने कमाएलेल…रोजगार के लेल अगर एक सय लोक बाहर जाए छलाह तं आब ओ संख्या घटि कs 74 भ गेल अछि.

पलायन कम होए वजहबिहारक बेहतर माहौल… कानून व्यवस्था… रोजगार के उपलब्ध साधन… मनरेगा मानल जारहल अछि.

आओर ई सभ भेलअछि बिहार मे नीतीश कुमार के शासन के कारण. लोक सभ जे डर सं गाम-घर छोड़ि के भागयछलाह से आब रुकि गेल अछि.

सरकार के कोशिशआब गैर-कुशल मजदूर के पलायन पर पूरा रोक लगाबय के अछि.

अगर बिहार मेविकासक काज होएत… लोक के गामे-घर मे रोजगार मिलत…नीक मजदूरी मिलत तो ओ किएकबाहर जएताह.

सरकार के लेल ईआंकड़ा उत्साह बढ़ाबय वाला अछि. सरकार के आओर जोर-शोर सं लोक के रोजगार उपलब्धकराबय के दिशा मे काज करबाक चाही. विकास के रफ्तार बढ़ाएबाक चाही.

मुदा सरकार केगैर-कुशल श्रमिक… मजदूर के संग कुशल श्रम के पलायन के रोकय पर सेहो ध्यान देबाकचाही.

पढ़ल-लिखल ट्रेंडलोक सभ… इंजीनियर… डॉक्टर… आईटी… मैनेजमेंट सं जुड़ल लोक सभ सेहो बाहर जारहल छथिन्ह. सरकार के एहि ब्रेन ड्रेन पर रोक लगाएबाक चाही.


बिहार जतय कलकारखाना लगाबय केर ओतेक अवसर मौजूद नहि अछि. सरकार के बिहार के आईटी के क्षेत्र मेआगां बढ़ाबय के कोशिश करबाक चाही.

बिहार के एकटाशिक्षा हब बनाबय के कोशिश करबाक चाही. एहि सं सरकार के करोड़ों रुपया के आमदनीहोएत. लोक सभ के रोजगार के एकटा नवका अवसर मिलतन्हि.

साउथ मे विकासके रफ्तार तेज होए के एकटा कारण सैकड़ों इंस्टीट्यूट के होए के अछि. साउथ मेमेडिकल… इंजनीयरिंग… मैनेजमेंट कॉलेज… संस्थान के भरमार अछि. देश भर संछात्र पढय लेल ओतय जाए छथिन्ह.

दाखिलालेल…एडमिशन लेल लाखों रुपया दय छथिन्ह. ओहि ठाम रहय-खाय पर हजारों रुपया खर्चकरय छथिन्ह. एहि सभ सं ओहि राज्य के करोड़ों के आमदनी होएत अछि.

ओहि ठाम हजारोंलोक के रोजगार मिलैत अछि. जीवन स्तर सुधरैत अछि. आयरन करय वाला सं लsक मेस चलाबय वाला तक…कागज- कॉपीसं लsक किताब के दोकान वालातक के नीक आमदनी होएत अछि.

बिहार मे सेहोसरकार के एहन- एहन ऑप्शन पर विचार करबाक चाही. जेहि मे लागत कम आओर मुनाफा बेसिहोए.

जेहि मे एक बेरपाए लगा देलाह पर बराबर पाए आबैत रहय. एना होए तं पढ़ल-लिखल लोक के बिहार सं बाहरजनाए सेहो कम होएत.

कि कहय छी अहां ?

Share

Comments are closed.

Share

Archives