विकास चाही तं नेता के अपना गाम लाउ


बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी11 अक्टूबर के छपरा जिला के सिताबदियारा सं अपन जनचेतना यात्रा शुरू करि रहलछथिन्ह.

लोकनायक जयप्रकाश नारायण…जेपीजीक गाम सं यात्रा शुरू करय सं पहिने ओ एहिठाम एकटा सभा के सेहो संबोधित करथिन्ह.

हुनकर जन चेतना यात्रा केमकसद जे होए. एहिठामक लोक के ओहि सं लेना-देना नहि छनि. लोक बस एहि बात सं खुशछथिन्ह जे आडवाणी जीके एहिठाम अएबाक कारणे इलाका के विकास भ रहल अछि.

आडवाणी जीक यात्रा के कारण बीजेपीके राज्य के तं छोडुं कइटा केंद्रीय नेता सभ तैयारी पर नजर राखने छथिन्ह. जिला संलsकराजधानी तक सं
आला अफसर के अमला दिन-राति काज मे लागल अछि.

रोज कोनो नहि कोनोअधिकारी…नेता गाम आबि रहल अछि. सभक चिंता इहे छनि जे कोनो कमी नहि रहि जाए.
एहिठाम आजादी के बाद पिछला50-60 साल मे जतेक काज नहि भेल ओ पिछला किछ दिन मे भेल अछि.

रोड चकाचक भ गेल अछि. जेहिरोड पर घोड़ा- गाड़ी हिचकोला लsक चलैत छल ओ आई सरपट भागि रहल अछि.

जेहि गाम मे लाइन…बिजलीबाती के दरश नहि छल…ओहि गाम मे नवका-नवका ट्रांसफर्मर लागि गेल अछि.

खटाखट पोल गाड़ि देलगेल…तार लगा देल गेल…बिजली चालू कर देल गेल. सभ किछ तुंरत-फुंरत मे कएल जा रहलअछि आ फेर पूरा करि देल गेल अछि.

एतबा दिन मे सभ किछ चमका देलगेल अछि. रास्ता के संग-संग इलाका के सेहो चमकाबय के कोशिश कएल गेल अछि.

विकास के बयार बहि गेल अछि.इंफ्रास्ट्रक्चर पर भारी पाई खर्च गेल अछि. लोक सभ पिछला दस-बारह दिन में भेलविकास सं काफी खुश छथिन्ह.

आब सोचिऔ सिर्फ आडवाणी जीक एकदिन के कार्यक्रम के लेल एतेक विकास भ रहल अछि तं अहां सभ अगर अपना गाम…इलाका मेअक्सर कोनो नहि कोनो पैघ नेता के बुलाएब तं कतेक विकास होएत.

अहां सभ के सेहो अपन-अपनइलाका मे राज्य के मंत्री के संग…केंद्रीय मंत्री सभ के बुलाबय के कोशिश होएबाकचाही.

एमएलए…एमपी साहेब के तंअक्सर कोनो नहि कोनो कार्यक्रम होएत रहबाक चाही. एहि सं अहां सभ के सेहो अपनसमस्या कहय के मौका मिलत.

मुख्यमंत्री अएताह…मंत्री अएताह….एमपीअएताह…एमएलए अएताह तं ओ अहांक समस्या…परेशानी सं अवगत होएताह…अहांक लेल दूचारि टा घोषणा करताह.

अएताह तं किछ न किछ दsए के जएताह.आखिर वोट के सवाल छै. ओ अहांक समस्या दूर करय के कोशिश जरूर करताह.

Comments are closed.

Archives