कंबल बांटल गेल
बिहार सहित पूरा उत्तर भारत मे आई-काल्हि ठंड… शीतलहर के कहर मचल अछि. लोक सभ परेशान छथिन्ह. पछुआ हवा एना लगय छै जेना सूई चुभा देने होए. दांत किटकिटा देबय वाला आओर हाड़ कंपा देबय वाला एहि सर्दी मे किछ लोक दानधर्म मे सेहो लागल छथिन्ह. कई ठाम लोक के लेल अलाव… घुर- आगि तापय के व्यवस्था कएल गेल अछि… लोक सभ मे गर्म कपड़ा… कंबल बांटल गेल अछि. एहने एकटा पुण्यक काज पिछला दिन भेल दरभंगा के शीशों गाम मे. एहि ठाम बनि रहल श्री साईंराम बाबा के मंदिर के तरफ सं गरीब लोक मे कंबल बांटल गेल. करीब 90 टा लोक के मंदिर के तरफ सं कंबल देल गेल. 
शीशों के एहि मंदिर मे श्री साई बाबा के प्राण-प्रतिष्ठा 20 अप्रैल के होए वाला अछि. एहि दिन दरभंगा राज के काली मंदिर सं शीशों श्रीसाईं बाबा मंदिर तक विशाल कलश शोभा यात्रा निकालल जाएत. दिल्ली के कलाकार सभ एकरे संग श्रीसाईं बाबा के झांकी सेहो निकालताह. श्रीसाईं बाबा के पालकी सेहो निकलत. एकरा लेल अखने सं तैयारी भs रहल अछि. दिल्ली मे रहय वाला श्री आर. एस. कुशवाहा जी सेहो एहि मे जोर-शोर सं लागल छथिन्ह.
अहां सभ सेहो एहि तरहक दान-घर्म के काज कs सकय छी. बस अपन पुरान-धुरान कपड़ा… छोट पड़ि गेल स्वेटर… कोट… पेंट… पायजामा… शर्ट… रजाई… कंबल एहन लोक मे बांटि सकय छी जिनका पास पहिनय…ओढ़य लेल किछ नहि छनि. अहां अपन-अपन पेटी- अलमारी सं एहन कपड़ा निकाल सकय छी जकर इस्तेमाल नहि भ रहल अछि. जकरा अहां आउट डेटेड बता कs नहि पहिनय छी. एहि कपड़ा सं कई लोक के जिनगी बचि सकैत अछि. आ फेर जिनका अहां देबय हुनका सं मन भरि आशीर्वाद… दुआ मिलत अहां के. एहि ठंड मे एहि सं बढ़ि कs पुण्य के काज आओर कि होएत.
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




