Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial
mithila, Maithili, Mithila news, Darbhanga, Madhubani, Purnea, Patna News, Bihar News, India News, world News | Mithila News

पूर्णिया मे आतंकवादी…

बिहार के पूर्णिया जिला मे पिछला दिन एकटा आतंकवादी गिरफ्तार कएल गेल. ओकरा बारे मे कहल जा रहल अछि जे ओकर संबंध अल कायदा सं अछि. गिरफ्तार आतंकवादी मिर्जा खान उर्फ गुलाम रसूल हैदराबाद के रहय वाला अछि आओर ओकरा पूर्णिया स्टेशन पर तखन गिरफ्तार कएल गेल जखन ओ बांग्लादेश भागय के फिराक मे छल. पुलिस आओर खुफिया विभाग के लोक पूछताछ मे लागल छथिन्ह. मिर्जा खान के बारे मे खबर मिल रहल छै जे ओ कई बेर अफगानिस्तान जा चुकल अछि आओर ओहिठाम अल कायदा प्रमुख ओसामा बिन लादेन सं सेहो मिल चुकल अछि. एतबे नहि ओ फर्जी पासपोर्ट पर कई देशक यात्रा कs सैकड़ों लोक के आतंकवादी प्रशिक्षण दिला चुकल अछि… आतंकी बना चुकल अछि. खबर अछि जे मिर्जा खान इहो मानलक अछि जे अफगानिस्तान मे आतंकी प्रशिक्षण शिविर अखनो बेधड़क चलि रहल अछि आओर ओ खुद तीन साल तक स्वात घाती मे तालिबान लड़ाका के रूप मे काज कs चुकल अछि.





Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.

Share and Enjoy:
  • email
  • Twitter
  • Facebook
  • RSS
  • Technorati
  • Print
  • PDF
If you enjoyed this post, please consider leaving a comment or subscribing to the RSS feed to have future articles delivered to your feed reader.

Tags: , ,

Leave a Reply

Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial
Get Adobe Flash playerPlugin by wpburn.com wordpress themes