मैथिली सुगम संगीत
दरभंगा रेडियो स्टेशन सं 2 फरवरी सं मैथिली सुगम संगीत के प्रसारण शुरू होएत. मैथिली सुगम संगीत के प्रसारण भोर मे सात बजिsक दस मिनट पर शुरू कएल जाएत. अहां एकरा सांझ मे प्रसारित होए वाला सिंगरहार कार्यक्रम मे सेहो सुनि सकय छी. मैथिली सुगम संगीत के लेल अखन नीक –नीक गीतकार सभ के रचना के संगीतबद्ध कराबय के काज अंतिम तरण मे अछि. एहि सुगम संगीत मे अहां के नव- नव कलाकार के आवाज सं परिचित होबय के मौका मिलत. एहि नव-नव कलाकार के चयन आकाशवाणी दरभंगा के तरफ सं भेल स्वर परीक्षा सं कएल गेल छनि. एहि के लेल दरभंगा… मधुबनी… समस्तीपुर… सहरसा… मधेपुरा…सीतामढ़ी… शिवहर के सैकड़ों लोकक आवेदन जमा भेल छल. स्वर परीक्षा पिछला साल अगस्त मे भेल छल आओर परिणाम सेहो अगस्ते मे निकलल छल. अगर सभ किछ ठीक रहल त एहि साल मार्च मे सेहो स्वर परीक्षा लेल जाएत. एहि सं मिथिला… मैथिली के कलाकार सभ के नीक मौका मिलय छनि. अखनो जिनका लगय छनि कि हुनकर आवाज मे दम छनि…सुगम संगीत लायक छनि… हुनका दरभंगा रेडियो स्टेशन के सम्पर्क मे रहबाक चाही. दरभंगा रेडियो स्टेशन सं अखन दू दिन फोन इन कार्यक्रम सेहो चलैत अछि. सुप्रभात दरभंगा के नाम सं. किछ दिन बाद अहां के बाकी के आओर दिन नमस्कार मिथिला नाम सं फोन इन कार्यक्रम सेहो सुनय लेल मिलत.
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




