Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial
Mithila News, News, Latest News, Latest Headlines, Darbhanga News, Patna News, Bihar News, India News, World News, Breaking News, Cricket, Sports, Business News, Election News, Political News, | Mithila News

चीनी के बाद दूध


गेहूं… चाउर… दाल… सब्जी… चीनी आओर खाए-पीबए के दोसर सामान के बाद आब दूध के बारी अछि. ई हम नहिं कहि रहल छी. ई कहनाय छनि देश के कृषि मंत्री शरद पवार जीक. हुनकर कहनाय छनि कि देश मे दूध के भारी कमी भs गेल अछि…. किल्लत भS गेल अछि…एहि के कारण दाम बढ़नाय तय अछि. हुनकर कहनाय छनि जे ओना दूध के कमी त पूरा देश मे अछि मुदा उत्तर भारत मे किछ बेसिए अछि. एहि सं सरकार पर दूध के दाम बढ़ाबय लेल भारी दबाव अछि.
आब सोचिऔ खुद कृषि मंत्री ऐना कहथिन्ह त फेर जे दाम नहि बढ़य वाला होएत… सेहो बढ़ि जाएत. पवार जीक कहनाय छनि जे दूध के मांग आओर आपूर्ति मे 18 लाख टन के अंतर अछि. ओना ओ कहलखिन्ह जे सरकार कीमत पर लगाम लगाबय के उपाय करि रहल अछि. लोक सभ सोचय छलाह जे नया साल मे महंगाई सं किछ राहत मिलत मुदा हुनकर एहि बयान सं आब दाम बढ़नाय तय अछि. लोक त ओहिना दाल… चाउर… गेहूं… चीनी … तेल… तरकारी के कीमत सं परेशान छल आब दूध के दाम सेहो बढ़ि जाएत त मुश्किल के अंदाजा अहां लगा सकैत अछि. लोक की कमाएत आओर की खाएत? जेहि देश मे दूध के नदी बहैत होए. दूध… दही रोज के भोजन मे शामिल होए… ओहि देश मे आब एकटा कृषि मंत्री के चलते लोक के एकरा बस देखिए कs संतोष करय पड़त.
कृषि मंत्री शरद पवार एकदम सं नकारा साबित भs रहल छथि. हिनकर कृषि मंत्री के पद पर रहैत खाए-पीबए के अधिकांश चीज के दाम आसमान छू रहल अछि. जखन हिनका सं दाम कहिआ कम होएत के बारे मे पूछल जाए छनि त कहय छथिन्ह जे हम कोनो ज्योतिषी नहि छी. मुदा दाम बढ़य के भविष्यवाणी कs दय छथिन्ह. पवार जी जेहि-जेहि चीज के कमी होए के बयान दय छथिन्ह किछ दिन बाद ओकर दाम ऊपर भागि जाएत अछि. चाहे वो गेंहू होए आ चीनी होए. ओना उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री कहबो कएलखिन्ह जे शरद पवार किल्लत सं पहिले बयान द जमाखोरी के बढावा द रहल छथिन्ह आओर दाम बढ़ाबय छथिन्ह. आब नहि जानि ई वोट के केहन राजनीति अछि जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह एतेक महंगाई के बादहुं हुनका पद पर बनौने छथिन्ह. नहिं संभारि मे आबि रहल छनि त कहथुन जे अहां क्रिकेटे देखु. जे होए अहां सभ आब दूध पर एकटा आओर झटका सहय लेल तैयार रहु.





Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.

Share and Enjoy:
  • email
  • Twitter
  • Facebook
  • RSS
  • Technorati
  • Print
  • PDF
If you enjoyed this post, please consider leaving a comment or subscribing to the RSS feed to have future articles delivered to your feed reader.

Tags: ,

Leave a Reply

Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial
Get Adobe Flash playerPlugin by wpburn.com wordpress themes