बरौनी के 496 करोड़
बरौनी थर्मल पावर प्लांट के आधुनिकीकरण कएल जाएत. प्लांट के आधुनिकीकरण के लेल केंद्रीय ऊर्जा मंत्रालय आओर योजना आयोग के तरफ सं 496 करोड़ रुपया के मंजूरी मिलल अछि. मंजूरी के मुताबिक प्लांट के 220 मेगावाटक यूनिक के आधुनिक बनाएल जाएत. एहि ठाम 250-250 मेगावाट के दूटा यूनिट लगाबय के काज सेहो शुरू भ रहल अछि. अहां के ई जानि के खुशी होएत जे बरौनी थर्मल पावर प्लांट के एहि साल 26 जनवरी के 50 साल पूरा होए वाला अछि… आओर ई प्लांट के स्वर्ण जयंती वर्ष अछि. शिलान्यास 26 जनवरी 1960 के आओर बिजली उत्पादन 1963 मे शुरू भेल छल
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




