बिहार मे 25टा डिग्री कॉलेज
शिक्षा के हिसाब सं देश के सभ सं पिछड़ल 374 जिला मे मॉडल डिग्री कॉलेज खोलल जाएत. ई डिग्री कॉलेज केंद्र सरकार के मदद सं खोलल जाएत. एहि सभ जिला मे विद्यार्थी के दाखिला दर राष्ट्रीय दाखिला दर सं काफी कम अछि. सरकार के माननाय अछि जे नवका मॉडल डिग्री कॉलेज खुलला सं करीब दू लाख विद्यार्थी के हायर एजुकेशन के मौका मिलि सकैत अछि. एकटा डिग्री कॉलेज खोलय मे करीब आठ करोड़ रुपया के खर्च आएत जेहि मे सं दू करोड़ 67 लाख रुपया केंद्र सरकार देत. बाकी रुपया आओर जमीन राज्य सरकार के देबय पड़त. ओना जेहि राज्य के स्पेशल कैटिगरी मे राखल गेल अछि ओकरा केंद्र सरकार सं 4 करोड़ रुपया मदद मिलत. ई पूरा काज यूजीसी आओर शिक्षा विभाग के जरिए पूरा कएल जाएत.
बिहार के हिसाब सं देखु त राज्य मे 25 टा जिला के पहचान भेल अछि जे पिछड़ल अछि आ ओहिठाम मॉडल डिग्री कॉलेज खोलल जाएत. बिहार के ओ जिला अछि- दरभंगा… मधुबनी… सीतामढ़ी… समस्तीपुर… शिवहर… सहरसा… सुपौल… मधेपुरा… पूर्णिया… खगड़िया… कटिहार… किशनगंज… अररिया… बेगूसराय… लखीसराय… पूर्वी चम्पारण… पश्चिमी चम्पारण… औरंगाबाद… बांका… गोपालगंज… जमुई… कैमूर… नवादा… सीवान आओर वैशाली.
ओना किछ दिन पहिने बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो घोषणा कएने छलखिन्ह जे जेहि अनुमंडल मे कोनो डिग्री कॉलेज नहि अछि ओहि ठाम डिग्री कॉलेज खोलल जाएत. ओहि हिसाब सं शिक्षा के क्षेत्र मे बिहार के लेल ई नीक कदम अछि.
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




