नीतीश के तारीफ
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के काज के प्रशंसा आब…बिहारे मे नहि देश-दुनिया मे होए लागल अछि. पिछला दिन मुम्बई मे भेल इकनॉमिक टाइम्स अवार्ड समारोह मे हिनकर काज पर त मुहर लगाएले गेल. आब आईटी दुनिया के सबसं पैघ नाम सेहो हिनकर तारीफ मे कशीदा काढ़लखिन्ह. माइक्रोसॉफ्ट के सह संस्थापक बिल गेट्स स्वास्थ्य क्षेत्र मे कएल जा रहल हिनकर काज के खुलि कs ताऱीफ कएलखिन्ह. दुनियाक स्वास्थ्य व्यवस्था पर लिखल एकटा सालाना पत्र मे गेट्स के कहनाय छनि जे हुनकर भारत दौरा के समय भारत के सभसं गरीब राज्य मे सं एक बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनका टीकाकरण दर मे सुधार के लेल कएल जा रहल काज के बारे मे बतएलखिन्ह. एहि के बाद हुनकर बिल एंड मेलिंडा फाउंडेशन बिहार सरकार के कार्यक्रम के वित्तीय मदद देबय पर विचार करि रहल अछि. बिल गेट्स के इहो कहनाय छनि जे अगिला दस साल मे भारत मे स्वास्थ्य क्षेत्र मे नीक सुधार आबय वाला अछि.
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.


