दरभंगा मे हंगामा
पहिल बेर दरभंगा आएल राहुल गांधी के सभा मे जमिsकs हंगामा भेल. कुर्सी फंकल गेल…पर्दा… पंडाल फाड़ल गेल…नारेबाजी भेल. एकर बाद छात्र सभ पर पुलिसिया डंडा सेहो भांजल गेल…कतेक के चोट आएल. जे कार्यक्रम डेढ़ घंटा के छल ओ आधो घंटा नहि चलल. पुलिस आओर एसपीजी के जवान राहुलजी के लs दोसर कार्यक्रम स्थल दिस विदा भs गेलाह.
असल मे दरभंगा के ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे मिथिलांचलक सामाजिक-शैक्षिक पहलू पर एकटा परिचर्चा राखल गेल छल. एहि परिचर्चा के राजनीति… पार्टी-पॉलिटिक्स सं कोनो लेना-देना नहि छल. एहि के लेल विश्वविद्यालय के किछ छात्र के पास जारी कएल गेल छल. मुदा देश के युवा नेता…यूथ ऑइकन राहुल गांधी के आबय के खबरहिं सं दरभंगा कि… पूरा मिथिला के युवा सभ विश्वविद्यालय कैंपस मे उमड़ि पड़लाह. आओर फेर दरभंगा… मधुबनी… सीतामढ़ी… समस्तीपुर… मुजफ्फरपुर.. समेत कई जिला के कांग्रेसी नेता सभ सेहो जमा छलाह. दरभंगा के लोक सभ सेहो एक झलक देखय लेल जमा भ गेलाह. एहि मे भीड़ उम्मीद सं कहि बेसि छल.
ओना सुरक्षा के भारी इंतजाम छल मुदा छात्र सभ के देखैत सुरक्षा कर्मी भीड़ के नहि रोकलखिन्ह.. छात्र सभ सेहो घुसैत गेलाह. मुदा सभ सं पैघ गप ई रहय जे कार्यक्रम विश्वविद्यालय के यूरोपीय गेस्ट हाउस मे राखल गेल छल. राष्ट्रपिता बापू एहिठाम सेहो ठहरि चुकल छथिन्ह. ई गेस्ट हाउस एकटा राष्ट्रीय नेता के कार्यक्रम के हिसाब सं छोट अछि. जगह छोट आओर भीड़ भारी. लोक सभ… छात्र लोकनि पंडाल के चारु कात सं केहुना-केहुना भीतर घुसि गेलाह. मुदा भीतर कुर्सी कम. बैसय के व्यवस्था नीक नहि. लोक ठाड़ होएत गेलाह… भीड़ बढ़ैत गेल. पंडाल फाड़ि-फाड़ि कs लोक भीतर के नजारा लैत छलाह. किछ छात्र त पास नहि मिलला सं सेहो नाराज छलाह. एहन मे परिचर्चा के दौरान छात्र सभ पूछि देलखिन्ह जे महाराष्ट्र मे तं कांग्रेसी सरकार अछि आओर केंद्र मे सेहो… तखनो बिहारी पर किएक एतेक अत्याचार भs रहल अछि? बिहारी के किएक मारल-पीटल जा रहल अछि? देशहि मे भाषा- क्षेत्र के नाम पर राजनीति किएक कएल जा रहल अछि? छात्र सभ हुनकर जवाब सं त असंतुष्ट छएबे छलखिन्ह ओहि मे हुनकर ई नारा जे गुजरात बदलु देश बदलत. छात्र लोकनि के घैर्य जवाब द गेल ओ सभ हंगामा करय लागलखिन्ह. कुर्सी टूटल… पंडाल फाटल
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




