मिथिला मे स्वागत
कांग्रेस नेता राहुल गांधी के दरभंगा मे जोरदार स्वागत कएल गेलन्हि. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ पद्माशा झा हुनकर स्वागत मिथिलाक परम्परा के अनुसार पाग चादर सं कएलकिन्ह. एहि अवसर पर देशभक्तिक गाना सेहो गायल गेल. विश्वविद्यालय के शिक्षक सभ केंद्रीय विश्वविद्यालय के दर्जा देबय के मांग कएलखिन्ह. राहुल गांधी सं आग्रह कएल गेलन्हि जे अगर ओ चाहथिन्ह त केंद्रीय विश्वविद्यालय के दर्जा मिल सकैत अछि. हुनका बताएल गेलन्हि जे एहि ठाम पढ़य वाला बेसि विद्यार्थी ग्रामीण परिवेश के अछि… किसान परिवार के अछि.
राहुल गांधी के कार्यक्रम विश्वविद्यालय के यूरोपीय गेस्ट हाउस मे छल. एहि ठाम ओ राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के मूर्ति पर माला सेहो चढएलखिन्ह.
लोक सभ के पूरा कोशिश रहैन्हि जे राहुल जीक मिथिला यात्रा यादगार रहय. मुदा लोकक… युवा लोकनि के उत्साह… भारी भीड़… किछ अव्यवस्था के कारण हंगागा भs गेल. राहुल गांधी के आबय के खबर सं हुनकर आबय के जगह हैलीपैड… बाघघर… नागेन्द्र झा स्टेडियम सं लs क गेस्ट हाउस धरि लोकक भीड़. सभ लोक हिनकर एक झलक देखल लेल बेताब. अहां सभ सोचि सकय छी जे एतेक उत्साह मे छोट-छिन बात भs जाए छय. जिनका झलक मिललन्हि ओ खुश… जे नहि देख पएलखिन्ह एहि बात सं नाराज छलखिन्ह जे राहुल जैसन नेता के सभा खुलल जगह मे किएक नहि कएल गेल
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




