मिथिला सं मिशन बिहार
कांग्रेस के युवा नेता राहुल गांधी के मिशन बिहार आ ऑपरेशन बिहार जे कहिऔ… शुरू भ गेल अछि. हुनकर एहि मिशन के शुरूआत ओहि ठाम सं भेल अछि जतय सं राष्ट्रपिता महात्मा गांधी अपन चंपारण सत्याग्रह शुरू कएने छलखिन्ह. पश्चिम चंपारण के भितिहरवा गांधी आश्रम मे गांधीजी के मूर्ति पर फूल माला चढ़ा अपन अभियान के श्रीगणेश कएलखिन्ह. एहि अवसर पर भारी भीड़ जमा छल. राहुल गांधी सं मिलय लेल लोकसभ आतुर छलाह. राहुल जी कार्यकर्ता आओर कए लोक सं मिलबो कएलखिन्ह. एहिठाम ओ कहलखिन्ह जे हुनकर पार्टी कांग्रेस आब बिहार मे एकसरे चुनाव लड़त. ओ युवा सभ के राजनीति मे आबय के सेहो कहलखिन्ह आओर एकटा नवका बिहार बनाबय के आह्वान कएलखिन्ह. राहुल गांधी कहलखिन्ह जे बिहार के विकास चाहय छी त कांग्रेस के सरकार लाउ आओर दूनु ठाम कांग्रेस के सरकार रहत त प्रदेश के नीक विकास होएत.
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.




