मिथिला प्राचीन काल में... »
About Us
मिथिला सांस्कृतिक रूप सं अपन भाषा, बोली, रचना, समृद्धि के लेल जानल जाइत अछि. कला संस्कृति, भाषा आओर साहित्य आदिकाल सं मिथिलाक पहचान रहल अछि. मुदा मैथिली भाषा के जे उचित सम्मान मिलवाक चाही…नहिं त मिलल आ नहिं मिलि रहल अछि. आई मैथिल लोक दुनिया भर में जतय छथि…अपन मातृभाषा के जिंदा रखने छथि. ई जरूर अछि जे आजुक आधुनिक युग मे बाजार के असर मैथिली पर सेहो पड़ल अछि. मुदा काज रुकल नहिं अछि…लोक भाषाक विकासक लेल काम कs रहल छथि…आ ई खुशी केर बात अछि जे आईयो बिहार स बाहर मैथिली में रचना भ रहल अछि. हम सभ एक दोसर सं बातचीत में मैथिली के जीवित रखने छी… मातृभाषा संप्रेषण आओर रचनाक लेल सभस उत्तम माध्यम अछि…फेर दुनिया में मैथिली स मधुर आओर कोनो भाषा मिलत. त मिथिला न्यूज़ सभ मैथिल के लेल एकटा मंच अछि. दलान अछि. एकटा ऐहन मंच जेहिठाम सभ मैथिल मिलि-जुलि सकय छी. अपन सुख-दुख…अनुभव बांटि सकय छी. अहां सभ अपन आस- पास… गाम-घर…इलाका के कोनो खबर होए लिखि कs भेजु. ब्लॉग पर लिखु…मन मे कोनो विचार होए दु लाइन लिखि भेज दिअ. हमर ईमेल अछि…
Post Footer automatically generated by Add Post Footer Plugin for wordpress.

