Dard-Hamdard

Dard-Hamdard, Dil ki baat

>हमर विआह-11

>हमर विआह-11

> गप भेलाह के बाद बाबूजी त किछ शांत भेलाह मुदा मां के बेचैनी कम नहि भेलन्हि. मां बेर-बेर बाबूजी के कहैत रहलीह जे अहां त एकरा एकदम हल्का सं लेने छिएन्हि. एकरा कनि सीरियस भ सोचिऔं. कनिओ ध्यान नहि द रहल छिएन्हि. एकदम सं अनठिएने छिएक. सभ किछ उम्रे पर नीक लगै छै…अखन नहि विआह करबन्हि त कहिआ करबन्हि? बूढ़ाs जएथिन्ह तखन करबन्हि की? बौआ केर तुरिया के...

Read more »

>हमर विआह-10

>हमर विआह-10

> जकर डर छल सेहे भेल. पार्टी मे आएल किछ महिला के लेल त जेना मुंह मांगल मुराद मिल गेल होए. गाम-घर के माए-बहिन के जखन शहरक कोनो मसाला मिलि जाए छनि त ओ ओकरा चटकार लsलsक सुनाबए छथीह. कानाफूसी शुरू भ गेल. मामला दिल्ली सं वाया रिश्तेदारी गाम तक पहुंचि गेल. सभ ठाम गप केर केंद्र अल्का के हमरा सं चिपैट जनाए. अगर ई चिपटनाए कॉलेज मे भेल...

Read more »

>हमर विआह-9

>हमर विआह-9

> अल्का के गेलाह बाद मिलय-बात करय के कतेक कोशिश करलौं. मुदा ओ हर बेर फोन काटि दैत रहलीह. मैसेज…एसएमएस के कोनो जवाब नहि देलीह. अहमदाबाद जाsक सेहो मिलय के कोशिश करलौं. मुदा ओ हमरा सं अतेक नाराज छलीह जे नहि मिललीह. किछ दिन बाद पता चलल जे हुनकर शादी भ गेलन्हि. शादीक बाद ओ यूएस चलि गेलीह. फेर हम हुनका सं संपर्क करय के कोनो कोशिश नहि करलौं....

Read more »

>हमर विआह- 8

>हमर विआह- 8

> श्वेताक जन्मदिन पार्टी सं डेरा त आबि गेलौं मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल. एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेलहुं. कॉलेजक दिन याद आबि गेल. बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन. आओर ई पहिल दिन कहिओ नहि भूलय वाला. एहि दिन मिलल छलीह अल्का. क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल. सभ अपन-अपन परिचय द रहल छलखिन्ह. परिचय सं पता चलय जे...

Read more »

>हमर विआह -7

>हमर विआह -7

> पार्टी मे मौजूद सभ लोक एक दोसरा के मुंह ताकए लागलखिन्ह. हुनका सभ के किछ फुराए नहि छलन्हि कि ई कि भ रहल अछि. खुसुर-पुसुर शुरू भ गेल. कहां त हवा लागल छल जे श्वेताक लेल ई लड़का देखल जा रहल छै आओर ई त ! एम्हर अल्का के खुशी के कोनो ठिकान नहि छल. मुदा जखन हुनका ई भान भेलैन जे ओ पार्टी मे छथीह त अपना...

Read more »

>हमर विआह-6

>हमर विआह-6

> श्वेता हिनका सं मिलु… अपन दरभंगे के छथीन्ह… ई कहि राजीव जी विस्तार सं हमर परिचय देबय लागलखिन्ह. हम दूनु हाथ जोड़ि नमस्कार करि हुनका जन्मदिनक शुभकामना द अपना संग लाएल गिफ्ट हुनका थमा देलिएन्हि. राजीव जी हमरा दूनु के छोड़ि खाना-पीना के तैयारी देखय चलि गेलाह. बर्डडे विश के बाद आब की गप कएल जाए… दुनु गोटे के जेना फुराए नहि रहल छल. बस एक-दोसरा के देखैत...

Read more »

>हमर विआह-5

>हमर विआह-5

>फोटो देखला के बाद मन मे मिलय के इच्छा प्रबल होए लागल… मन होए जे काल्हि मिलए के अछि से आइए मिलि लेल जाए. मुदा लागए जे लोक सभ के पता चलतन्हि त कि कहताह ? मन मे दस तरहक विचार आबए लागए. किछ नहि फुराए. जन्मदिन मे जाएल जाए आ नहि ? एकदम सं कन्फ्यूज जकां भ गेलहुं. अखन धरि एहन उहापोहक स्थिति मे कहिओ नहि रहलहुं. एक...

Read more »

>अहां केना सहैत होएब ?

>अहां केना सहैत होएब ?

> इंस्टिट्यूटक आखिरी दिन छल… कॉन्वोकेशन मे शामिल अठाइसो स्टुडेंट… स्टुडेंट नहि जर्नलिस्ट कहिऔ…बड़ खुश छलखिन्ह…कॉन्वोकेशन केर बाद भेल पार्टी मे कई अखबारक एडिटर… बड़का-बड़का पत्रकार… मंत्री… नेता… अधिकारी… आओर दिल्ली मे रहय वाला पत्रकार सभ अपन-अपन दोस्त… परिवार के संग आएल छलाह. सभ एक-दोसरा सं मिल रहल छलाह… नाचि-गा रहल छलाह… खा-पीब रहल छलाह. हमहुं किनको सं गप करय मे बिजी छलहुं…कि मिताली आबि कहलीह, “हाय हितेंद्र, हिनका सं...

Read more »

>आई मिस यू मोना…

>आई मिस यू मोना…

> बुलेटिन ऑन एयर होए के समय भs गेल छल…फाइनल टच देय मे लागल छलहुं कि फोनक घंटी बाजि उठल. रिसेप्शन सं फोन छल. “सर आप से मिलने एक लड़की आयी है…” “बस दो मिनट मे आया ” बोलि काज मे लागि गेलहुं…आओर भूलि गेलहुं…ध्यान पर नहि रहल. करीब आधा घंटा बाद जखन फेर रिसेप्शन सं फोन आएल त अफसोस भेल जे हुनका ओतेक देर सं बैसने छिएन्हि. झटकैत...

Read more »

>हमर बिआह… ( तेसर कड़ी )

>हमर बिआह… ( तेसर कड़ी )

> प्रेमक साक्षात मूर्ति… हुनकर रूप यौवनक आभा छनि-छनि कs गुलबिया साड़िक तर सं बहरा रहल छल. ताड़क तरकून के डाभ जका डबडबाइत यौवन केहुना क आंचर सं संभारने छलीह. लागैत छल बटन तोड़ि आब बाहर आएल… तब बाहर आएल. हुनकर सम्मुन्नत अञ्चल रेखावली देखि हमर छाती पर सांप लोटय लागल. हुनकर फोटो के रूप माधर्य मे हम एतेक तल्लीन भs गेलहुं जे हमरा प्रतीत भेल जे ओ साक्षात...

Read more »

Archives