अहां सभ के मिथिलांचलक नववर्ष जुड़शीतल आओर सतुआइन केर शुभकामना. गाम घर सं बाहर रहला पर कई बेर पावनि-त्योहार के पता नहि चलैत अछि. मुदा एहि मे फेसबुक बड़ काज करैत अछि. फेसबुक पर मिथिला-मैथिली सं जुड़ल कइटा ग्रुप अछि आओर अपन मैथिल भाई लोकनि दू-चारि दिन पहिनहिं सं शुभकामना के दौर शुरू करि दय छथिन्ह. एहि सं पता सेहो चलि जाएत अछि जे फलां पावनि आबि गेल अछि....







